Placeholder canvas

Noon roti maithili web series: बहुप्रतीक्षित मैथिली वेब सीरीज ‘नून रोटी’ 27 अक्टूबर के होयत रिलीज !

Noon roti maithili web series: आगामी २७ अक्टूबर २०२३ के मधुर मैथिली (Madhur Maithili) के यूट्यूब चैनल पर बहु प्रतीक्षित मैथिली वेब सिरीज़ “नून रोटी” प्रदर्शित होबय जा रहल अछि. २६ अक्टूबर के बिहार के राजधानी पटना में नून रोटी के औपचारिक प्रीमियर शो के आयोजन सेहो कयल गेल छैक.

पावर्ड बाय आनंदम ग्रुप “नून रोटी मैथिली वेब सीरिज” के निर्देशक आ लेखक विकास झा जी प्रेस के माध्यम स जानकारी देलैथ जे नून रोटी मैथिली वेब सीरिज बिहार आ मिथिला प्रान्त में व्याप्त बेरोजगारी आ पलायन के समस्या के अलग दृष्टिकोण स रेखांकित करैत अछि संगैह मिथिला क्षेत्र में पर्यटन आ व्यवसायिक आत्मनिर्भरता के लेल की सब विकल्प भ सकैत अछि सेहो विषय पर कसगर योजना आ समाधान के समक्ष करबाक प्रयास करैत अछि. मैथिल समाज में सरकारी नौकरी के प्रति एकटा अलग आकर्षण छैक और स्व रोजगार आ व्यवसाय करबाक बात पर अभिभावक अपन सन्तान सभ स विमुख होइत देखल जयत छथि. एहि विषय के ल क कथित वेब सीरिज में पुरजोर बहस होयत देखल जा सकैत अछि।

Noon roti maithili web series के कार्यकारी निर्मात्री आ अभिनेत्री रौशनी झा जानकारी देलैथ जे नून रोटी २७ अक्टूबर स मधुर मैथिली के यूट्यूब चैनल पर देखल जा सकैत अछि. नून रोटी में कुल आठ टा एपिसोड अछि जाहि में पहिल एपिसोड सब क्यौ निःशुल्क देख सकैत छथि आ बांकी सात टा एपिसोड देखबाक लेल २९९ रुपया मात्र के भुगतान केला उपरांत पेड सब्सक्रिप्शन ल क देखल जा सकैत अछि.

Noon roti maithili web series के शूटिंग मिथिला के विभिन्न जिला आ स्थान पर कयल गेल अछि और सभ कलाकार सभ रंगमंच स जुड़ल छथि आ सभ गोटे मिथिला के छथि. मुख्य कलाकार में दिवाकर झा, आदर्श भरद्वाज, ऋषभ कश्यप आ मणि कौशिक संग निखिल मिश्र, प्रज्ञा झा, सत्येन्द्र झा, सोहेल सुलतान, प्रशांत राणा, सागर सिंह आ सुमित श्री छथि.निर्माता लेखक निर्देशक विकास झा आ हुनक पत्नी श्रीमती रौशनी झा सेहो एहि वेब सीरिज में मुख्य किरदार में अभिनय कयने छथि।

यह भी पढ़ें: Mithila Haat: अररिया संग्राम के “मिथिला हाट” के सामने मॉल भी है फीका, जानिये इसकी खासियत

ज्ञातव्य होई जे विकास झा आ रोशनी झा अपन मधुर मैथिलीक (Madhur Maithil) लोकप्रिय हास्य मनोरंजक कार्यक्रम “अलर बलर” स मिथिला में जानल जयत छथि आ रौशनी झा के लाल काकी के रूप में एकटा अलग छवि बनल छनि. छायांकन टीम में आनंद सोनी, विकास झा छथि आ सम्पादन प्रक्रिया विकास झा के देख रेख में महेश कुम्भार द्वारा कयल गेल अछि.हाल में नून रोटी के एकटा मधुर गीत सेहो प्रदर्शित कयल गेल छल जे की प्रशिद्ध नवोदित गायिका प्रिय मल्लिक द्वारा गाओल गेल अछि. संगीत प्रेम प्रकाश कर्ण जिक छनि.रंग शुद्धि शशांक झा जी द्वारा आ ध्वनि विन्यास शंकर सिंह द्वारा कयल गेल अछि.

अखन Noon roti maithili web series के टीम प्रचार प्रसार करबाक लेल विभिन्न ठामक यात्रा क रहल छथि जकर आरम्भ देशक राजधानी दिल्ली में प्रेस वार्ता स कयल गेल. चुकी दिल्ली आब मैथिल जन सभक लेल एकटा नियमित निवास प्रान्त के रूप में समक्ष भ रहल अछि ताहि लेल दिल्ली के समस्त मैथिल जन तक ई संदेश देबाक लेल प्रचार प्रसार के ग्राउंड जीरो प्रक्रिया आ गतिविधि दिल्ली स प्रारम्भ कयल गेल.

Leave a Comment